Saturday, December 14, 2019

बिहार से डॉ. संजीव शमा की रचना- अपन नेनपन आ गाम

कवि डॉ. संजीव शमा
राज्य - झंझारपुर, बिहार
मैथिली रचना
शीर्षक - 
अपन नेनपन आ गाम
*****************
राति सपनामे नाचय लागल अपन नेनपन आ अपन गाम,
दुपहरियाक रौद आ पिपैर तर
ओ छाहरि ओ सनगर आराम ।

दलान पर रोजाना सांझु पहर गान बजानक रहय धुमसाहि,
टोलक बहुरिया केर जमघटमे कजरिक तान धियाक पसाहि ।

अँगनामे बहैत भोरुका बसात भोरु पहरक ओंघाइत रौद आइर - धुर पर शरदक ओस, चानी सन रूपक मस्त संजोग ।

वसंतक आभास करबैत मोन कोयलक रसगर पंचम तान ,
मोन केँ तृप्त करैत नव-नव पल्लव नव पल्लव केर विधान ।

बोली केर मिठास,भाषा केर लाड़ पियार
हमरे गाम सन होयतै जँ सगरो संसार ।

हे ! निहोरा करय छी चलय चलु अपना गाम दिस एक बेर
एखनहुँ ओहिना बाँचल अछि माइक ममता,बाबा दादी केँ दुलार ।

**********
@डॉ.संजीव शमा
झंझारपुर, बिहार

No comments:

Post a Comment

दुर्ग से प्रिया गुप्ता की रचना- चाहत

कवि-प्रिया गुप्ता जिला- दुर्ग राज्य-छत्तीसगढ़ शीर्षक-चाहत विधा-काव्य संपर्क-7974631528  दीवानगी दीवानों की वफ़ा है दोस्तो   काति...